1 Coríntios 4

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 एहि लेल लोक हमरा सभ केँ मसीहक सेवक बुझओ जकरा सभक जिम्‍मा मे पहिने गुप्‍त राखल परमेश्‍वरक रहस्‍यक बात सभ सौंपल गेल अछि।
1 Que os homens nos considerem como ministros de Cristo e despenseiros dos mistérios de Deus.
2 जकरा सभक जिम्‍मा मे किछु सौंपल गेल अछि तकरा सभक लेल ई जरूरी छैक जे ओ सभ विश्‍वासयोग्‍य निकलय।
2 Além disso, requer-se nos despenseiros que cada um se ache fiel.
3 हमरा लेल एहि बातक कोनो महत्‍व नहि अछि जे अहाँ सभ अथवा मनुष्‍यक कोनो पंचायत हमर न्‍याय करय। हमहूँ अपन न्‍याय नहि करैत छी।
3 Todavia, a mim mui pouco se me dá de ser julgado por vós ou por algum juízo humano; nem eu tampouco a mim mesmo me julgo.
4 हमर मोन हमरा दोषी नहि ठहरबैत अछि, मुदा ई बात एकर कोनो प्रमाण नहि भऽ गेल जे हम निर्दोष छी। प्रभुए हमर न्‍यायकर्ता छथि।
4 Porque em nada me sinto culpado; mas nem por isso me considero justificado, pois quem me julga é o Senhor.
5 एहि लेल समय सँ पहिने कोनो बातक न्‍याय नहि करू, अर्थात् जाबत धरि प्रभु नहि औताह ताबत धरि रूकल रहू। ओ अन्‍हार मे नुकायल सभ बात केँ इजोत मे लौताह आ लोकक भितरी मोनक अभिप्राय सभ केँ प्रगट करताह। तहिया प्रत्‍येक मनुष्‍य परमेश्‍वरे सँ अपन प्रशंसा पाओत।
5 Portanto, nada julgueis antes de tempo, até que o Senhor venha, o qual também trará à luz as coisas ocultas das trevas e manifestará os desígnios dos corações; e, então, cada um receberá de Deus o louvor.
6 यौ भाइ लोकनि, हम अपन आ अपुल्‍लोसक उदाहरण दऽ कऽ अहाँ सभक भलाइक लेल ई सभ बात लिखलहुँ अछि, जाहि सँ हमरा सभक माध्‍यम सँ अहाँ सभ ई सिखी जे “धर्मशास्‍त्र मे लिखल बातक अन्‍तर्गत रहू।” तखन अहाँ सभ घमण्‍ड सँ एक गोटेक पक्ष लेनाइ आ दोसर गोटे केँ तुच्‍छ माननाइ वला काज नहि करब।
6 E eu, irmãos, apliquei essas coisas, por semelhança, a mim e a Apolo, por amor de vós, para que, em nós, aprendais a não ir além do que está escrito, não vos ensoberbecendo a favor de um contra outro.
7 कारण, के कहैत अछि जे अहाँ दोसर लोक सँ नीक छी? अहाँ लग की अछि जे अहाँ केँ नहि देल गेल? आ जँ अहाँ केँ देल गेल अछि तँ फेर घमण्‍ड किएक करैत छी जेना कि अहाँक अपने कयला सँ किछु प्राप्‍त भेल होअय?
7 Porque quem te diferença? E que tens tu que não tenhas recebido? E, se o recebeste, por que te glorias como se não o houveras recebido?
8 एखने अहाँ सभ तृप्‍त भऽ गेल छी! एखने अहाँ सभ सम्‍पन्‍न भऽ गेल छी! अहाँ सभ राजा भऽ गेलहुँ, आ सेहो बिनु हमरा सभक! कतेक बढ़ियाँ होइत जे अहाँ सभ वास्‍तव मे राजा भऽ गेल रहितहुँ जाहि सँ हमहूँ सभ अहाँ सभक संग राजा बनि सकितहुँ!
8 Já estais fartos! Já estais ricos! Sem nós reinais! E prouvera Deus reinásseis para que também nós reinemos convosco!
9 हमरा एना बुझाइत अछि जे परमेश्‍वर हमरा सभ केँ, जे सभ मसीह-दूत छी, विजय-जुलूसक अन्‍त मे ओहि बन्‍दी सभ जकाँ रखने छथि जकरा सभ पर मृत्‍युदण्‍डक आज्ञा भऽ गेल होइक, किएक तँ हम सभ सम्‍पूर्ण सृष्‍टिक लेल, स्‍वर्गदूतो सभ आ मनुष्‍यो सभक लेल, तमाशा बनि गेल छी।
9 Porque tenho para mim que Deus a nós, apóstolos, nos pôs por últimos, como condenados à morte; pois somos feitos espetáculo ao mundo, aos anjos e aos homens.
10 हम सभ मसीहक कारणेँ मूर्ख छी, मुदा अहाँ सभ मसीह मे ज्ञानवान छी! हम सभ दुर्बल छी मुदा अहाँ सभ बलवान छी! अहाँ सभ केँ आदर भेटि रहल अछि आ हमरा सभ केँ निरादर!
10 Nós somos loucos por amor de Cristo, e vós, sábios em Cristo; nós, fracos, e vós, fortes; vós, ilustres, e nós, vis.
11 हम सभ एखनो तक भूखल-पियासल रहैत छी, फाटल-पुरान पहिरैत छी, मारि खाइत छी। हमरा सभ केँ रहबाक लेल कोनो घर नहि अछि।
11 Até esta presente hora, sofremos fome e sede, e estamos nus, e recebemos bofetadas, e não temos pousada certa,
12 हम सभ अपना हाथ सँ कठिन परिश्रम करैत छी। जखन हमरा सभक अपमान कयल जाइत अछि तँ हम सभ आशीर्वाद दैत छी। जखन हमरा सभ पर अत्‍याचार होइत अछि तँ हम सभ ओकरा सहैत छी।
12 e nos afadigamos, trabalhando com nossas próprias mãos; somos injuriados e bendizemos; somos perseguidos e sofremos;
13 जखन लोक हमरा सभक निन्‍दा करैत अछि तखन हम सभ नम्रतापूर्बक उत्तर दैत छी। आइओ तक हम सभ संसारक मैल आ समाजक कूड़ा-करकट बनल छी।
13 somos blasfemados e rogamos; até ao presente, temos chegado a ser como o lixo deste mundo e como a escória de todos.
14 हम अहाँ सभ केँ लज्‍जित करबाक लेल ई नहि लिखि रहल छी, बल्‍कि अपन प्रिय बच्‍चा बुझैत चेतावनी दऽ रहल छी।
14 Não escrevo essas coisas para vos envergonhar; mas admoesto- vos como meus filhos amados.
15 मसीह मे अहाँ सभ केँ हजारो देखनिहार किएक नहि होअय, मुदा पिता अनेक नहि अछि। अहाँ सभ हमरे सँ शुभ समाचार सुनि कऽ विश्‍वास कयलहुँ तेँ मसीह यीशु मे हमहीं अहाँ सभक पिता बनल छी।
15 Porque, ainda que tivésseis dez mil aios em Cristo, não teríeis, contudo, muitos pais; porque eu, pelo evangelho, vos gerei em Jesus Cristo.
16 एहि लेल हम एहि पर जोर दैत छी जे हम जेना करैत छी, तेना अहूँ सभ करू।
16 Admoesto-vos, portanto, a que sejais meus imitadores.
17 एही कारणेँ हम तिमुथियुस केँ, जे प्रभु मे हमर प्रिय आ विश्‍वासयोग्‍य बेटा छथि, अहाँ सभ लग पठौने छी। ओ अहाँ सभ केँ मोन पाड़ताह जे मसीह मे रहबाक कारणेँ हमर जीवन-शैली केहन अछि। हमर जीवन-शैली ओहि शिक्षा सँ मिलैत अछि जे सभ ठाम हम प्रत्‍येक मण्‍डली मे दैत छी।
17 Por esta causa vos mandei Timóteo, que é meu filho amado e fiel no Senhor, o qual vos lembrará os meus caminhos em Cristo, como por toda parte ensino em cada igreja.
18 अहाँ सभ मे सँ किछु लोक ई सोचि कऽ घमण्‍डी बनि गेल छी जे, पौलुस हमरा सभक ओतऽ नहि औताह!
18 Mas alguns andam inchados, como se eu não houvesse de ir ter convosco.
19 मुदा जँ प्रभुक इच्‍छा होयतनि तँ हम अहाँ सभ लग जल्‍दिए आयब आ घमण्‍डी सभक गप्‍पे नहि, बल्‍कि ओकरा सभक सामर्थ्‍यक पता पाबि लेबैक।
19 Mas, em breve, irei ter convosco, se o Senhor quiser, e então conhecerei, não as palavras dos que andam inchados, mas a virtude.
20 किएक तँ परमेश्‍वरक राज्‍य गप्‍पक बात नहि, बल्‍कि सामर्थ्‍यक बात अछि।
20 Porque o Reino de Deus não consiste em palavras, mas em virtude.
21 अहाँ सभ की चाहैत छी? की हम लाठी लऽ कऽ अहाँ सभ लग आउ, वा प्रेम आ कोमलताक भाव लऽ कऽ?
21 Que quereis? Irei ter convosco com vara ou com amor e espírito de mansidão?

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Coríntios 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.