1 Coríntios 3

jivən səndesh (MAI) vs BKJ

Sair da comparação
1 यौ भाइ लोकनि, हम अहाँ सभ सँ ओहि तरहेँ बात नहि कऽ सकलहुँ जाहि तरहेँ आत्‍मिक लोक सँ कयल जाइत अछि। हमरा अहाँ सभ सँ ओहि तरहेँ बात करऽ पड़ल जाहि तरहेँ सांसारिक व्‍यक्‍ति सभ सँ कयल जाइत अछि, मसीह मेहक छोट बच्‍चा सभ जकाँ।
1 E eu, irmãos, não pude falar a vós como a espirituais, mas como a carnais, como a bebês em Cristo.
2 हम अहाँ सभ केँ दूध पिऔने छलहुँ, अन्‍न नहि खुऔने छलहुँ, किएक तँ अहाँ सभ ओकरा पचा नहि सकैत छलहुँ। हँ, अहाँ सभ एखनो ओकरा पचा नहि सकैत छी।
2 Eu alimentei-vos com leite e não com alimento sólido, porque até agora não fostes capazes de suportar, nem mesmo agora sois capazes.
3 किएक तँ अहाँ सभ एखनो सांसारिक छी। जखन अहाँ सभ मे डाह आ झगड़ा होइत अछि तँ की ई एहि बातक प्रमाण नहि अछि जे अहाँ सभ सांसारिक छी? की अहाँ सभक व्‍यवहार एहन लोकक व्‍यवहार जकाँ नहि अछि जकरा सभ मे पवित्र आत्‍मा नहि छथि?
3 Porque ainda sois carnais, pois, havendo entre vós inveja, contendas e divisões, não sois carnais e andais como os homens?
4 जखन केओ कहैत अछि, “हम पौलुसक चेला छी” आ केओ जे, “हम अपुल्‍लोसक छी”, तँ की अहाँ सभ सांसारिक लोक नहि भेलहुँ?
4 Porque enquanto um diz: Eu sou de Paulo; e outro: Eu sou de Apolo; não sois carnais?
5 तँ अपुल्‍लोस की छथि? आ पौलुस की अछि? हम सभ सेवक मात्र छी, जकरा द्वारा अहाँ सभ विश्‍वास कयलहुँ। हम सभ हर एक, बस, वैह काज कयलहुँ जे प्रभु हमरा सभ केँ जिम्‍मा देलनि।
5 Quem, então, é Paulo, e quem é Apolo, senão ministros pelos quais crestes, conforme o Senhor deu a cada homem?
6 हम बीया बाउग कयलहुँ, अपुल्‍लोस ओहि मे पानि पटौलनि, मुदा बढ़ौलनि ओकरा परमेश्‍वर।
6 Eu tenho plantado, Apolo regado; mas Deus dá o crescimento.
7 ने तँ बाउग करऽ वलाक कोनो महत्‍व अछि आ ने पानि पटाबऽ वलाक, बल्‍कि ओकरा बढ़ाबऽ वला परमेश्‍वरे सभ किछु छथि।
7 Assim então, nem o que planta é alguma coisa, nem o que rega, mas Deus, que dá o crescimento.
8 बाउग करऽ वला आ पानि पटाबऽ वला एके लक्ष्‍य राखि कऽ काज करैत अछि आ प्रत्‍येक अपने परिश्रमक अनुरूप इनाम पाओत।
8 Ora, o que planta e o que rega são um; e cada homem receberá a sua própria recompensa, de acordo com o seu próprio trabalho.
9 हम सभ परमेश्‍वरेक सेवा मे सहकर्मी छी; अहूँ सभ परमेश्‍वरेक खेत आ परमेश्‍वरेक भवन छी।
9 Porque nós somos colaboradores de Deus; Vós sois lavoura de Deus e edifício de Deus.
10 परमेश्‍वरक ओहि कृपा द्वारा जे हमरा प्रदान कयल गेल अछि हम कुशल राजमिस्‍तिरी जकाँ न्‍यो रखलहुँ आ केओ दोसर ओहि पर भवन बनबैत जा रहल अछि। मुदा प्रत्‍येक गोटे एहि बातक ध्‍यान राखय जे ओ भवनक निर्माण कोना कऽ रहल अछि।
10 Segundo a graça de Deus que me é dada, como sábio mestre de obras, eu pus a fundação, e outro edifica sobre ele; mas cada homem fique atento como se edifica sobre ele.
11 किएक तँ जे न्‍यो राखल गेल अछि तकरा छोड़ि कोनो दोसर नहि राखल जा सकैत अछि आ ओ न्‍यो छथि यीशु मसीह।
11 Porque nenhum outro fundamento pode alguém lançar além do que já está posto, o qual é Jesus Cristo.
12 जँ केओ एहि न्‍यो पर निर्माणक काज मे सोन, चानी, बहुमूल्‍य पाथर, काठ वा घास-फूस प्रयोग मे लाओत,
12 Agora, se algum homem sobre este fundamento edificar, de ouro, prata, pedras preciosas, madeira, feno, restolho,
13 तँ ओकर ओ काज स्‍पष्‍ट देखाओल जायत किएक तँ न्‍यायक दिन ओहि काज केँ देखार कऽ देत। ओ दिन आगिक संग प्रगट होयत, आ ओ आगि प्रत्‍येक गोटेक काजक जाँच करत जे ओ केहन अछि।
13 a obra de cada homem se manifestará; pois o dia a declarará, porque esta será revelada pelo fogo; e o fogo provará o tipo da obra de cada homem.
14 जकर निर्माणक काज टिकल रहि जायत तकरा इनाम भेटतैक।
14 Se a obra que algum homem edificou permanecer, ele receberá uma recompensa.
15 जकर काज भस्‍म भऽ जयतैक से इनाम पाबऽ सँ वंचित होयत। ओ अपने बाँचि जायत, मानू जेना आगि मे सँ जरैत-जरैत बाँचल होअय।
15 Se a obra de algum homem for consumida, ele sofrerá perda; mas ainda assim, ele será salvo, como pelo fogo.
16 की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे अहाँ सभ गोटे मिलि कऽ परमेश्‍वरक मन्‍दिर छी आ परमेश्‍वरक आत्‍मा अहाँ सभ मे वास करैत छथि?
16 Não sabeis vós que sois o templo de Deus, e que o Espírito de Deus habita em vós?
17 जँ केओ परमेश्‍वरक मन्‍दिर केँ नष्‍ट करत तँ परमेश्‍वर ओकरा नष्‍ट कऽ देथिन, किएक तँ परमेश्‍वरक मन्‍दिर पवित्र अछि आ ओ मन्‍दिर अहाँ सभ छी।
17 Se algum homem corromper o templo de Deus, Deus o destruirá; porque o templo de Deus é santo, e este templo sois vós.
18 केओ अपना केँ धोखा नहि दओ। जँ अहाँ सभ मे सँ केओ अपना केँ संसारक दृष्‍टि मे बुद्धिमान बुझैत होइ तँ असल बुद्धिमान बनबाक लेल अपना केँ “मूर्ख” बना लिअ,
18 Nenhum homem se engane a si mesmo; se algum homem dentre vós parecer ser sábio neste mundo, torne-se louco para poder ser sábio.
19 किएक तँ एहि संसारक ज्ञान परमेश्‍वरक दृष्‍टि मे मूर्खता अछि, जेना धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे, “ओ बुद्धिमान सभ केँ ओकर सभक चतुराइ मे फँसबैत छथिन।”
19 Porque a sabedoria deste mundo é loucura diante de Deus; porque está escrito: Ele apanha os sábios na sua própria astúcia.
20 और इहो लिखल अछि जे, “प्रभु बुद्धिमान सभक विचार केँ जनैत छथिन जे ओ व्‍यर्थ छैक।”
20 E outra vez: O Senhor conhece os pensamentos dos sábios, que são vãos.
21 एहि लेल कोनो मनुष्‍य पर केओ घमण्‍ड नहि करय! किएक तँ सभ किछु अहाँ सभक अछि,
21 Portanto, nenhum homem se glorie em homens; porque todas as coisas são vossas;
22 चाहे ओ पौलुस होअय, अपुल्‍लोस होथि अथवा पत्रुस होथि, चाहे संसार होअय, जीवन होअय वा मृत्‍यु होअय, चाहे आजुक बात होअय वा आबऽ वला समयक, सभ किछु अहाँ सभक अछि,
22 quer Paulo, ou Apolo, ou Cefas, ou o mundo, ou a vida, ou a morte, ou as coisas do presente, ou as coisas vindouras, tudo é vosso,
23 और अहाँ सभ मसीहक छी आ मसीह परमेश्‍वरक छथि।
23 e vós sois de Cristo, e Cristo é de Deus.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Coríntios 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.