1 Coríntios 1

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 हम पौलुस, जे परमेश्‍वरक इच्‍छा सँ मसीह यीशुक एक मसीह-दूत होयबाक लेल बजाओल गेल छी, और भाइ सोस्‍थिनेस सेहो,
1 Paulo, apóstolo de Jesus Cristo por chamamento e vontade de Deus, e o irmão Sóstenes,
2 ई पत्र अहाँ सभ केँ लिखि रहल छी, जे सभ कोरिन्‍थ नगर मे परमेश्‍वरक मण्‍डली छी। अहाँ सभ यीशु मसीह द्वारा पवित्र कयल गेल छी और परमेश्‍वरक अपन लोक होयबाक लेल बजाओल गेल छी, जहिना सभ ठामक ओ सभ लोक छथि जे अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक नाम सँ प्रार्थना करैत छथि—ओ तँ हुनका सभक आ अपना सभक, दूनूक प्रभु छथि।
2 à igreja de Deus que está em Corinto, aos fiéis santificados em Jesus Cristo, chamados à santidade, juntamente com todos os que, em qualquer lugar que estejam, invocam o nome de nosso Senhor Jesus Cristo, Senhor deles e nosso;
3 अपना सभक पिता परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि और अहाँ सभ केँ शान्‍ति देथि।
3 a vós, graça e paz da parte de Deus, nosso Pai, e da parte do Senhor Jesus Cristo!
4 अहाँ सभक लेल हम सदिखन अपना परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दैत छियनि, किएक तँ ओ मसीह यीशु द्वारा अहाँ सभ पर कृपा कयने छथि।
4 Não cesso de agradecer a Deus por vós, pela graça divina que vos foi dada em Jesus Cristo.
5 — ausente —
5 Nele fostes ricamente contemplados com todos os dons, com os da palavra e os da ciência,
6 — ausente —
6 tão solidamente foi confirmado em vós o testemunho de Cristo.
7 तेँ अहाँ सभ उत्‍सुकतापूर्बक अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक फेर अयबाक बाट तकैत कोनो आत्‍मिक वरदानक अभाव मे नहि छी।
7 Assim, enquanto aguardais a manifestação de nosso Senhor Jesus Cristo, não vos falta dom algum.
8 एतबे नहि, परमेश्‍वर अन्‍त धरि अहाँ सभ केँ मजगूत कयने रहताह, जाहि सँ अहाँ सभ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक फेर अयबाक दिन मे निर्दोष पाओल जाइ।
8 Ele há de vos confirmar até o fim, para que sejais irrepreensíveis no dia de nosso Senhor Jesus Cristo.
9 परमेश्‍वरे अपन पुत्रक संगति मे, अर्थात्‌ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक संगति मे, अहाँ सभ केँ बजौने छथि आ ओ विश्‍वासयोग्‍य छथि।
9 Fiel é Deus, por quem fostes chamados à comunhão de seu Filho Jesus Cristo, nosso Senhor.
10 यौ भाइ लोकनि, अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक नाम सँ हम अहाँ सभ सँ आग्रह करैत छी जे अहाँ सभ एकमत भऽ कऽ रहू जाहि सँ आपस मे फूट नहि होअय, बल्‍कि अहाँ सभक मोन आ विचार मे पूर्ण एकता होअय।
10 Rogo-vos, irmãos, em nome de nosso Senhor Jesus Cristo, que todos estejais em pleno acordo e que não haja entre vós divisões. Vivei em boa harmonia, no mesmo espírito e no mesmo sentimento.
11 किएक तँ, यौ भाइ लोकनि, हमरा खलोएक घरक किछु लोक द्वारा एहि बातक जानकारी भेटल अछि जे अहाँ सभक बीच झगड़ा चलि रहल अछि।
11 Pois acerca de vós, irmãos meus, fui informado pelos que são da casa de Cloé, que há contendas entre vós.
12 हमर कहबाक मतलब ई अछि जे अहाँ सभ मे सँ केओ कहैत छी जे, “हम पौलुसक चेला छी”, केओ जे, “हम अपुल्‍लोसक”, केओ जे, “हम पत्रुसक,” आ केओ जे, “हम मसीहक चेला छी।”
12 Refiro-me ao fato de que entre vós se usa esta linguagem: Eu sou discípulo de Paulo; eu, de Apolo; eu, de Cefas; eu, de Cristo.
13 तँ की मसीहक बटबारा कऽ देल गेल छनि? की अहाँ सभक लेल पौलुस केँ क्रूस पर चढ़ाओल गेल? की अहाँ सभ पौलुसक नाम सँ बपतिस्‍मा लेने छलहुँ?
13 Então estaria Cristo dividido? É Paulo quem foi crucificado por vós? É em nome de Paulo que fostes batizados?
14 हम परमेश्‍वरक धन्‍यवाद दैत छियनि जे अहाँ सभ मे सँ क्रिस्‍पुस आ गयुस केँ छोड़ि आरो किनको बपतिस्‍मा हम नहि देलहुँ।
14 Graças a Deus, não batizei nenhum de vós, à exceção de Crispo e Gaio.
15 आब केओ ई नहि कहि सकैत अछि जे ओ हमरा नाम सँ बपतिस्‍मा लेने अछि।
15 Assim ninguém poderá dizer que fostes batizados em meu nome.
16 हँ, हम स्‍तेफनासक घरक लोक केँ सेहो बपतिस्‍मा देने छी। हमरा मोन नहि अछि जे हम हिनका सभ केँ छोड़ि आरो किनको बपतिस्‍मा देलहुँ।
16 {Aliás, batizei também a família de Estéfanas. Além destes, não me consta ter batizado ninguém mais.}
17 किएक तँ मसीह हमरा बपतिस्‍मा देबाक लेल नहि, बल्‍कि शुभ समाचार सुनयबाक लेल पठौने छथि। आ सेहो सांसारिक ज्ञान सँ भरल शब्‍द सभक प्रयोग नहि कऽ कऽ, जाहि सँ ई नहि होअय जे मसीहक क्रूस परक मृत्‍युक प्रभाव खतम भऽ जाय।
17 Cristo não me enviou para batizar, mas para pregar o Evangelho; e isso sem recorrer à habilidade da arte oratória, para que não se desvirtue a cruz de Cristo.
18 विनाश भेनिहार लोक क्रूसक शिक्षा केँ मूर्खताक बात बुझैत अछि। मुदा अपना सभक लेल, जे सभ उद्धार पाबि रहल छी, क्रूसक शिक्षा परमेश्‍वरक सामर्थ्‍य अछि।
18 A linguagem da cruz é loucura para os que se perdem, mas, para os que foram salvos, para nós, é uma força divina.
19 किएक तँ धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे परमेश्‍वर कहैत छथि,
19 Está escrito: Destruirei a sabedoria dos sábios, e anularei a prudência dos prudentes {Is 29,14}.
20 कतऽ अछि ज्ञानी सभ? कतऽ अछि विद्वान सभ? कतऽ अछि एहि संसारक तर्क-वितर्क करऽ वला सभ? की परमेश्‍वर एहि संसारक “ज्ञान” केँ मूर्खता नहि बना देने छथि?
20 Onde está o sábio? Onde o erudito? Onde o argumentador deste mundo? Acaso não declarou Deus por loucura a sabedoria deste mundo?
21 परमेश्‍वरक बुद्धिपूर्ण योजना ई छलनि जे संसार अपन बुद्धि द्वारा हुनका नहि चिन्‍हि सकय। एहि लेल परमेश्‍वर केँ ई नीक बुझयलनि जे शुभ समाचारक प्रचारक “मूर्खता” द्वारा ओ विश्‍वास कयनिहार लोक सभक उद्धार करथि।
21 Já que o mundo, com a sua sabedoria, não reconheceu a Deus na sabedoria divina, aprouve a Deus salvar os que crêem pela loucura de sua mensagem.
22 यहूदी सभ चमत्‍कार सभक माँग करैत अछि आ यूनानी सभ बुद्धिक खोज करैत अछि।
22 Os judeus pedem milagres, os gregos reclamam a sabedoria;
23 मुदा हम सभ क्रूस पर चढ़ाओल गेल मसीहक प्रचार करैत छी। ई यहूदी सभक लेल विश्‍वास करऽ मे बाधा वला बात आ आन जाति सभक लेल मूर्खताक बात अछि।
23 mas nós pregamos Cristo crucificado, escândalo para os judeus e loucura para os pagãos;
24 मुदा परमेश्‍वर जकरा सभ केँ बजौने छथि, ओ चाहे यहूदी होअय वा यूनानी, तकरा सभक लेल मसीह छथि परमेश्‍वरक सामर्थ्‍य आ परमेश्‍वरक ज्ञान।
24 mas, para os eleitos - quer judeus quer gregos -, força de Deus e sabedoria de Deus.
25 किएक तँ जकरा परमेश्‍वरक “मूर्खता” बुझल जाइत अछि, से मनुष्‍यक ज्ञानक अपेक्षा अधिक ज्ञानवान अछि, आ जकरा परमेश्‍वरक “दुर्बलता” बुझल जाइत अछि, से मनुष्‍यक बलक अपेक्षा अधिक बलवान अछि।
25 Pois a loucura de Deus é mais sábia do que os homens, e a fraqueza de Deus é mais forte do que os homens.
26 यौ भाइ लोकनि, विचार करू, परमेश्‍वर अहाँ सभ केँ जहिया बजौलनि तहिया अहाँ सभ की छलहुँ? सांसारिक दृष्‍टिएँ अहाँ सभ मे सँ किछुए लोक ज्ञानी, सामर्थी वा खानदानी छलहुँ।
26 Vede, irmãos, o vosso grupo de eleitos: não há entre vós muitos sábios, humanamente falando, nem muitos poderosos, nem muitos nobres.
27 मुदा ज्ञानी सभ केँ लज्‍जित करबाक लेल परमेश्‍वर ओहन बात सभ केँ चुनलनि जे संसारक दृष्‍टि मे मूर्खताक बात अछि। सामर्थी सभ केँ लज्‍जित करबाक लेल ओ ओहन बात सभ केँ चुनलनि, जे संसारक दृष्‍टि मे निर्बल अछि।
27 O que é estulto no mundo, Deus o escolheu para confundir os sábios; e o que é fraco no mundo, Deus o escolheu para confundir os fortes;
28 जे बात सभ संसार मे नीच, तुच्‍छ आ नगण्‍य मानल जाइत अछि ओहन बात सभ केँ परमेश्‍वर एहि लेल चुनलनि जे ओ तेहन बात सभ केँ नष्‍ट कऽ देथि जे संसार मे महत्‍वपूर्ण मानल जाइत अछि,
28 e o que é vil e desprezível no mundo, Deus o escolheu, como também aquelas coisas que nada são, para destruir as que são.
29 जाहि सँ केओ परमेश्‍वरक सामने घमण्‍ड नहि करय।
29 Assim, nenhuma criatura se vangloriará diante de Deus.
30 परमेश्‍वरेक कारणेँ अहाँ सभ मसीह यीशु मे छी। प्रभु यीशु मसीह अपना सभक लेल परमेश्‍वर द्वारा देल गेल ज्ञान बनि गेल छथि। ओ स्‍वयं अपना सभक धार्मिकता, पवित्रता, आ पाप सँ छुटकारा भऽ गेल छथि।
30 É por sua graça que estais em Jesus Cristo, que, da parte de Deus, se tornou para nós sabedoria, justiça, santificação e redenção,
31 तेँ जेना धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि, “जँ केओ घमण्‍ड करय तँ ओ प्रभु पर घमण्‍ड करय।”
31 para que, como está escrito: quem se gloria, glorie-se no Senhor {Jr 9,23}.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Coríntios 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.