1 Coríntios 15

jivən səndesh (MAI) vs ACF

Sair da comparação
ACF Almeida Corrigida Fiel
1 यौ भाइ लोकनि, आब हम अहाँ सभ केँ ओहि सुसमाचारक स्‍मरण करबैत छी जकर प्रचार हम अहाँ सभक बीच कयने छलहुँ, जकरा अहाँ सभ मानि लेलहुँ आ जाहि पर अहाँ सभक विश्‍वास आधारित अछि।
1 Também vos notifico, irmãos, o evangelho que já vos tenho anunciado; o qual também recebestes, e no qual também permaneceis.
2 जँ अहाँ सभ ओहि वचन पर अटल रहैत छी जे हम अहाँ सभ केँ सुनौने छी, तँ एहि सुसमाचार द्वारा अहाँ सभक उद्धार अछि। नहि तँ अहाँ सभक विश्‍वास कयनाइ व्‍यर्थ भेल।
2 Pelo qual também sois salvos se o retiverdes tal como vo-lo tenho anunciado; se não é que crestes em vão.
3 कारण, जे बात हमरा भेटल तकरा हम मुख्‍य सत्‍यक रूप मे अहाँ सभ लग पहुँचा देलहुँ, अर्थात्‌ ई जे, मसीह धर्मशास्‍त्रक भविष्‍यवाणीक अनुसार अपना सभक पापक प्रायश्‍चित्तक लेल मरलाह,
3 Porque primeiramente vos entreguei o que também recebi: que Cristo morreu por nossos pecados, segundo as Escrituras,
4 गाड़ल गेलाह, धर्मशास्‍त्रक भविष्‍यवाणीक अनुसार तेसर दिन जिआओल गेलाह
4 E que foi sepultado, e que ressuscitou ao terceiro dia, segundo as Escrituras.
5 आ पत्रुस केँ देखाइ देलथिन आ तखन बारहो मसीह-दूतक समूह केँ सेहो।
5 E que foi visto por Cefas, e depois pelos doze.
6 तकरबाद ओ एके समय मे पाँच सय सँ बेसी भाइ सभ केँ देखाइ देलथिन। ओहि मे सँ अधिकांश आइओ जीवित अछि, ओना तँ किछु लोक मरिओ गेल अछि।
6 Depois foi visto, uma vez, por mais de quinhentos irmãos, dos quais vive ainda a maior parte, mas alguns já dormem também.
7 बाद मे ओ याकूब केँ आ फेर सभ मसीह-दूत लोकनि केँ देखाइ देलथिन,
7 Depois foi visto por Tiago, depois por todos os apóstolos.
8 आ अन्‍त मे हमरो देखाइ देलनि, मानू जे हम असमयक जन्‍मल लोक छी।
8 E por derradeiro de todos me apareceu também a mim, como a um abortivo.
9 हम ई एहि लेल कहलहुँ जे हम मसीह-दूत सभ मे सभ सँ छोट छी आ मसीह-दूत कहयबा जोगरक सेहो नहि छी, कारण हम परमेश्‍वरक मण्‍डली पर अत्‍याचार कयने छी।
9 Porque eu sou o menor dos apóstolos, que não sou digno de ser chamado apóstolo, pois que persegui a igreja de Deus.
10 मुदा हम जे किछु छी से परमेश्‍वरक कृपा सँ छी आ हमरा पर जे हुनका द्वारा कृपा कयल गेल से व्‍यर्थ नहि भेल। हम आन सभ मसीह-दूत सँ बढ़ि कऽ परिश्रम कयलहुँ—ओना तँ हम नहि कयलहुँ, बल्‍कि ई परमेश्‍वरक ओहि कृपा द्वारा भेल जे हमरा पर रहल।
10 Mas pela graça de Deus sou o que sou; e a sua graça para comigo não foi vã, antes trabalhei muito mais do que todos eles; todavia não eu, mas a graça de Deus, que está comigo.
11 चाहे हम होइ वा ओ सभ होथि, हम सभ केओ एही सुसमाचारक प्रचार करैत छी आ एही पर अहाँ सभ विश्‍वास कयने छी।
11 Então, ou seja eu ou sejam eles, assim pregamos e assim haveis crido.
12 मुदा जँ मसीहक विषय मे हम सभ प्रचार करैत छी जे ओ मृत्‍यु सँ जीबि उठाओल गेल छथि तँ अहाँ सभ मे सँ किछु व्‍यक्‍ति कोना कहैत छी जे मरल सभ केँ जिआओल नहि जायत?
12 Ora, se se prega que Cristo ressuscitou dentre os mortos, como dizem alguns dentre vós que não há ressurreição de mortos?
13 जँ मरल सभ जिआओल नहि जायत तँ मसीहो नहि जिआओल गेल छथि।
13 E, se não há ressurreição de mortos, também Cristo não ressuscitou.
14 आ जँ मसीह नहि जिआओल गेल छथि तँ हमरा सभक प्रचार कयनाइ व्‍यर्थ अछि और अहाँ सभक विश्‍वास कयनाइ सेहो व्‍यर्थ अछि।
14 E, se Cristo não ressuscitou, logo é vã a nossa pregação, e também é vã a vossa fé.
15 तखन एतबे नहि, हम सभ परमेश्‍वरक विषय मे झुट्ठा गवाह सेहो ठहरि गेलहुँ, किएक तँ हम सभ परमेश्‍वरक सम्‍बन्‍ध मे ई गवाही देने छी जे ओ मसीह केँ फेर जीवित कयलथिन। मुदा जँ वास्‍तव मे मरल सभ फेर जिआओल नहि जाइत अछि तँ परमेश्‍वर मसीह केँ सेहो फेर जीवित नहि कयलथिन।
15 E assim somos também considerados como falsas testemunhas de Deus, pois testificamos de Deus, que ressuscitou a Cristo, ao qual, porém, não ressuscitou, se, na verdade, os mortos não ressuscitam.
16 कारण, जँ मरल सभ जिआओल नहि जाइत अछि तँ मसीह सेहो नहि जिआओल गेल छथि।
16 Porque, se os mortos não ressuscitam, também Cristo não ressuscitou.
17 जँ मसीह फेर जिआओल नहि गेल छथि तँ अहाँ सभक विश्‍वास बेकार अछि आ अहाँ सभ केँ पापक दोष एखनो लागले अछि।
17 E, se Cristo não ressuscitou, é vã a vossa fé, e ainda permaneceis nos vossos pecados.
18 एतबे नहि, तखन तँ ओहो लोक, जे सभ मसीह पर विश्‍वास करैत मरि गेल छथि, तिनको सभक विनाश भेल अछि।
18 E também os que dormiram em Cristo estão perdidos.
19 जँ मसीह पर अपना सभक आशा मात्र एही जीवन तक सीमित अछि तँ समस्‍त मनुष्‍य जाति मे अपने सभक दशा सभ सँ खराब अछि।
19 Se esperamos em Cristo só nesta vida, somos os mais miseráveis de todos os homens.
20 मुदा मसीह निश्‍चय जिआओल गेल छथि। हँ, जे सभ मरि गेल छथि तिनका सभ मे सँ ओ “प्रथम फल” भेलाह।
20 Mas de fato Cristo ressuscitou dentre os mortos, e foi feito as primícias dos que dormem.
21 किएक तँ जखन मृत्‍यु एक मनुष्‍य द्वारा संसार मे आयल तँ एक मनुष्‍ये द्वारा मुइल सभक जीबि उठनाइ सेहो अछि।
21 Porque assim como a morte veio por um homem, também a ressurreição dos mortos veio por um homem.
22 जाहि तरहेँ सभ लोक आदम सँ सम्‍बन्‍धित भऽ मरैत अछि ताही तरहेँ सभ लोक जे मसीह सँ संयुक्‍त अछि, जिआओल जायत।
22 Porque, assim como todos morrem em Adão, assim também todos serão vivificados em Cristo.
23 मुदा हर एक निर्धारित क्रमक अनुसार अपन-अपन पार पर जिआओल जायत—सभ सँ पहिने मसीह, जे “प्रथम फल” छथि, तकरबाद जखन ओ फेर औताह तखन ओ सभ जे हुनकर लोक अछि।
23 Mas cada um por sua ordem: Cristo as primícias, depois os que são de Cristo, na sua vinda.
24 तखन एहि संसारक अन्‍त भऽ जायत आ मसीह सभ प्रकारक शासन, अधिकार आ सामर्थ्‍य केँ समाप्‍त कऽ अपन राज्‍य पिता परमेश्‍वरक हाथ मे सौंपि देथिन।
24 Depois virá o fim, quando tiver entregado o reino a Deus, ao Pai, e quando houver aniquilado todo o império, e toda a potestade e força.
25 किएक तँ जाबत तक मसीह अपन सभ शत्रु केँ पयरक तर मे नहि कऽ लेथि, ताबत तक हुनका राज्‍य कयनाइ आवश्‍यक छनि।
25 Porque convém que reine até que haja posto a todos os inimigos debaixo de seus pés.
26 ओहि मे अन्‍तिम नष्‍ट होमऽ वला शत्रु अछि मृत्‍यु।
26 Ora, o último inimigo que há de ser aniquilado é a morte.
27 किएक तँ धर्मशास्‍त्रक कथन अछि जे, “ओ सभ किछु हुनकर पयरक तर मे कयने छथि।” जखन ई कहल गेल जे “सभ किछु” हुनकर अधीन कयल गेल अछि तखन एहि कथन मे निःसन्‍देह परमेश्‍वर केँ छोड़ि देल गेल छनि। वैह तँ सभ किछु मसीहक अधीन कयने छथिन।
27 Porque todas as coisas sujeitou debaixo de seus pés. Mas, quando diz que todas as coisas lhe estão sujeitas, claro está que se excetua aquele que lhe sujeitou todas as coisas.
28 जखन सभ किछु पुत्रक अधीन कऽ देल जायत तखन पुत्र स्‍वयं तिनकर अधीन भऽ जयताह जे सभ किछु पुत्रक अधीन कऽ देलनि, जाहि सँ सभ बात मे परमेश्‍वरे सभ किछु रहथि।
28 E, quando todas as coisas lhe estiverem sujeitas, então também o mesmo Filho se sujeitará àquele que todas as coisas lhe sujeitou, para que Deus seja tudo em todos.
29 जँ ई सभ बात होमऽ वला नहि अछि तँ जे व्‍यक्‍ति सभ मरल सभक लेल बपतिस्‍मा लैत अछि से की करत? जँ मरल सभ जिआओले नहि जाइत अछि तँ फेर तकरा सभक लेल लोक बपतिस्‍मा किएक लैत अछि?
29 Doutra maneira, que farão os que se batizam pelos mortos, se absolutamente os mortos não ressuscitam? Por que se batizam eles então pelos mortos?
30 आ हमहूँ सभ किएक प्रति क्षण संकटक सामना करैत छी?
30 Por que estamos nós também a toda a hora em perigo?
31 सभ दिन हम मृत्‍युक सामना करैत छी। हँ, यौ भाइ लोकनि, ई ततेक निश्‍चित अछि जतेक निश्‍चित इहो अछि जे अहाँ सभ अपना सभक प्रभु यीशु मसीह मे हमर गौरव छी।
31 Eu protesto que cada dia morro, gloriando-me em vós, irmãos, por Cristo Jesus nosso Senhor.
32 जँ हम इफिसुस मे हिंसक पशु सभ सँ लड़लहुँ तँ मनुष्‍यक दृष्‍टिकोण सँ हमरा की लाभ भेल? जँ मरल सभ जिआओल नहि जायत तँ,
32 Se, como homem, combati em Éfeso contra as bestas, que me aproveita isso, se os mortos não ressuscitam? Comamos e bebamos, que amanhã morreremos.
33 धोखा नहि खाउ—“अधलाह संगति नीक चरित्र केँ भ्रष्‍ट कऽ दैत अछि।”
33 Não vos enganeis: as más conversações corrompem os bons costumes.
34 सही काज करबाक लेल होश मे आउ आ पाप कयनाइ छोड़ि दिअ। अहाँ सभ मे किछु लोक परमेश्‍वरक सम्‍बन्‍ध मे एकदम अनजान छी। ई अहाँ सभक लेल लाजक बात होयबाक चाही।
34 Vigiai justamente e não pequeis; porque alguns ainda não têm o conhecimento de Deus; digo-o para vergonha vossa.
35 मुदा आब केओ ई पुछत जे, “मरल सभ कोना जिआओल जायत? ओ सभ केहन शरीर धारण कऽ कऽ आओत?”
35 Mas alguém dirá: Como ressuscitarão os mortos? E com que corpo virão?
36 ई प्रश्‍नो मूर्खताक बात अछि! अहूँ जे कोनो बीया बाउग करैत छी से बिनु मरने कहाँ जीवित होइत अछि?
36 Insensato! o que tu semeias não é vivificado, se primeiro não morrer.
37 अहाँ जे बाउग करैत छी से बाद मे जाहि रूपक होयतैक ताहि रूप मे बाउग नहि करैत छी, बल्‍कि मात्र बीया बाउग करैत छी—ओ गहुमक होअय वा कोनो आन अनाजक।
37 E, quando semeias, não semeias o corpo que há de nascer, mas o simples grão, como de trigo, ou de outra qualquer semente.
38 मुदा परमेश्‍वर अपन इच्‍छाक अनुसार ओकरा कोनो रूप प्रदान करैत छथि—प्रत्‍येक बीया केँ ओकर अपन अलग रूपक गाछ होइत अछि।
38 Mas Deus dá-lhe o corpo como quer, e a cada semente o seu próprio corpo.
39 सभ प्राणी केँ एक समानक शरीर नहि होइत अछि। मनुष्‍यक शरीर एक प्रकारक होइत अछि, पशुक शरीर दोसर प्रकारक, चिड़ै सभक फेर दोसर और माछ सभक दोसर प्रकारक होइत अछि।
39 Nem toda a carne é uma mesma carne, mas uma é a carne dos homens, e outra a carne dos animais, e outra a dos peixes e outra a das aves.
40 स्‍वर्गिक शरीर होइत अछि आ पृथ्‍वी वला शरीर सेहो होइत अछि, मुदा स्‍वर्गिक शरीरक शोभा एक प्रकारक अछि आ पृथ्‍वी वलाक शोभा दोसर प्रकारक।
40 E há corpos celestes e corpos terrestres, mas uma é a glória dos celestes e outra a dos terrestres.
41 सूर्यक शोभा एक प्रकारक होइत अछि, चन्‍द्रमाक शोभा दोसर प्रकारक आ तरेगन सभक शोभा आन प्रकारक, एतऽ तक जे एक ताराक शोभा दोसर ताराक शोभा सँ भिन्‍न होइत अछि।
41 Uma é a glória do sol, e outra a glória da lua, e outra a glória das estrelas; porque uma estrela difere em glória de outra estrela.
42 मरल सभक जीबि उठनाइ सेहो एहने बात अछि। जे शरीर मृत्‍यु द्वारा “बाउग कयल जाइत अछि” से मरऽ आ सड़ऽ वला अछि। जखन जिआओल जाइत अछि तँ मरैत आ सरैत नहि अछि।
42 Assim também a ressurreição dentre os mortos. Semeia-se o corpo em corrupção; ressuscitará em incorrupção.
43 अनादरपूर्ण दशा मे “बाउग कयल जाइत अछि,” महिमा सँ मण्‍डित भऽ जिआओल जाइत अछि। कमजोर दशा मे “बाउग कयल जाइत अछि”, जिआओल जा कऽ सामर्थी होइत अछि।
43 Semeia-se em ignomínia, ressuscitará em glória. Semeia-se em fraqueza, ressuscitará com vigor.
44 जे शरीर “बाउग कयल जाइत अछि” से प्राकृतिक वस्‍तु अछि आ जखन जिआओल जाइत अछि तँ ओ आत्‍मिक वस्‍तु अछि। जँ प्राकृतिक शरीर होइत अछि तँ आत्‍मिक शरीर सेहो होइत अछि।
44 Semeia-se corpo natural, ressuscitará corpo espiritual. Se há corpo natural, há também corpo espiritual.
45 धर्मशास्‍त्रक लेख सेहो यैह अछि जे, “पहिल मनुष्‍य, आदम, जीवित प्राणी बनि गेल।” “अन्‍तिम आदम”, अर्थात्‌ मसीह, जीवनदायक आत्‍मा बनलाह।
45 Assim está também escrito: O primeiro homem, Adão, foi feito em alma vivente; o último Adão em espírito vivificante.
46 पहिने आत्‍मिक बात नहि, बल्‍कि प्राकृतिक बात आयल, तकरबादे आत्‍मिक बात।
46 Mas não é primeiro o espiritual, senão o natural; depois o espiritual.
47 पहिल मनुष्‍य माटिक बनल छल, पृथ्‍वी सँ छल, मुदा दोसर मनुष्‍य स्‍वर्ग सँ छथि।
47 O primeiro homem, da terra, é terreno; o segundo homem, o Senhor, é do céu.
48 पृथ्‍वी वला ओ मनुष्‍य जेहन छल तेहने ओ सभ लोक अछि जे पृथ्‍वी पर रहैत अछि आ स्‍वर्ग सँ आयल ओ मनुष्‍य जेहन छथि तेहने ओ सभ लोक होयत जे स्‍वर्ग मे रहत।
48 Qual o terreno, tais são também os terrestres; e, qual o celestial, tais também os celestiais.
49 अपना सभ जहिना पृथ्‍वी वला मनुष्‍यक रूप धारण कयने छी तहिना स्‍वर्ग वला मनुष्‍यक रूप सेहो धारण करब।
49 E, assim como trouxemos a imagem do terreno, assim traremos também a imagem do celestial.
50 यौ भाइ लोकनि, हमर कहबाक तात्‍पर्य ई अछि जे, माँसु आ खून वला शरीर परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश करबाक अधिकारी नहि भऽ सकैत अछि। जे किछु विनाश होमऽ वला अछि से तकरा पयबाक अधिकारी नहि भऽ सकैत अछि जे अविनाशी अछि।
50 E agora digo isto, irmãos: que a carne e o sangue não podem herdar o reino de Deus, nem a corrupção herdar a incorrupção.
51 सुनू, हम अहाँ सभ केँ एकटा बात कहैत छी जे पहिने गुप्‍त राखल गेल छल—अपना सभ मे सँ सभ केओ नहि मरब, मुदा सभ बदलि देल जायब।
51 Eis aqui vos digo um mistério: Na verdade, nem todos dormiremos, mas todos seremos transformados;
52 ई एक क्षण मे, पलक मारिते, धुतहूक अन्‍तिम आवाज होइते भऽ जायत। किएक तँ धुतहू बाजत, मरल सभ अविनाशी भऽ जीवित कयल जायत आ अपना सभ बदलि देल जायब।
52 Num momento, num abrir e fechar de olhos, ante a última trombeta; porque a trombeta soará, e os mortos ressuscitarão incorruptíveis, e nós seremos transformados.
53 ई आवश्‍यक अछि जे, जे सड़ऽ वला अछि से एहन रूप धारण करय जे नहि सरैत अछि, जे मरऽ वला अछि, से एहन रूप धारण करय जे नहि मरैत अछि।
53 Porque convém que isto que é corruptível se revista da incorruptibilidade, e que isto que é mortal se revista da imortalidade.
54 जखन ई नाश होमऽ वला शरीर अविनाशी वला केँ, आ ई मरणशील शरीर अमरता केँ धारण कऽ लेत तखन धर्मशास्‍त्रक ई बात पूरा भऽ जायत जे, “मृत्‍यु पर विजय भऽ गेल अछि! ओ आब समाप्‍त भेल।”
54 E, quando isto que é corruptível se revestir da incorruptibilidade, e isto que é mortal se revestir da imortalidade, então cumprir-se-á a palavra que está escrita: Tragada foi a morte na vitória.
55 “हे मृत्‍यु, तोहर विजय कतऽ छौक?
55 Onde está, ó morte, o teu aguilhão? Onde está, ó inferno, a tua vitória?
56 पाप अछि मृत्‍युक डंक, आ पाप धर्म-नियमक आधार पर मृत्‍युक कारण बनैत अछि।
56 Ora, o aguilhão da morte é o pecado, e a força do pecado é a lei.
57 मुदा परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद होनि! ओ अपना सभक प्रभु यीशु मसीह द्वारा अपना सभ केँ विजय प्रदान करैत छथि।
57 Mas graças a Deus que nos dá a vitória por nosso Senhor Jesus Cristo.
58 एहि लेल, यौ प्रिय भाइ लोकनि, स्‍थिर और अटल बनल रहू। अपना केँ पूर्ण रूप सँ प्रभुक काजक लेल सदत समर्पित कयने रहू, किएक तँ अहाँ सभ जनैत छी जे अहाँ सभक परिश्रम प्रभु मे व्‍यर्थ नहि अछि।
58 Portanto, meus amados irmãos, sede firmes e constantes, sempre abundantes na obra do Senhor, sabendo que o vosso trabalho não é vão no Senhor.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Coríntios 15, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.