1 Coríntios 14
jivən səndesh (MAI) vs VC
1 अहाँ सभ प्रेमक प्रेरणाक अनुसार चलबाक लेल प्रयत्नशील रहू आ आत्मिक वरदान सभक प्राप्तिक लेल उत्सुक रहू, विशेष रूप सँ परमेश्वर सँ सम्बाद पयबाक आ सुनयबाक वरदानक लेल।
1 Empenhai-vos em procurar a caridade. Aspirai igualmente aos dons espirituais, mas sobretudo ao de profecia.
2 किएक तँ जे अनजान भाषा मे बजैत अछि से मनुष्य सभ सँ नहि, बल्कि परमेश्वर सँ बजैत अछि। वास्तव मे ओकर बात केओ नहि बुझैत अछि। ओ परमेश्वरक आत्मा द्वारा रहस्यक बात सभ कहैत अछि।
2 Aquele que fala em línguas não fala aos homens, senão a Deus: ninguém o entende, pois fala coisas misteriosas, sob a ação do Espírito.
3 मुदा जे परमेश्वर सँ सम्बाद पाबि सुनबैत अछि से लोकक आत्मिक वृद्धिक लेल आ ओकरा सभ केँ प्रोत्साहन आ सान्त्वना देबाक लेल बजैत अछि।
3 Aquele, porém, que profetiza fala aos homens, para edificá-los, exortá-los e consolá-los.
4 अनजान भाषा बजनिहार अपनहि आत्मिक वृद्धि करैत अछि मुदा परमेश्वर सँ पाओल सम्बाद सुनौनिहार मण्डलीक आत्मिक वृद्धि करैत अछि।
4 Aquele que fala em línguas edifica-se a si mesmo; mas o que profetiza, edifica a assembléia.
5 हम चाहितहुँ जे अहाँ सभ मे सँ सभ केँ अनजान भाषा सभ बजबाक वरदान भेटय, मुदा ताहि सँ बेसी ई चाहितहुँ जे अहाँ सभ मे सँ सभ केँ परमेश्वर सँ सम्बाद पयबाक आ सुनयबाक वरदान भेटय। जँ अनजान भाषा बाजऽ वला स्वयं अपन कहल बातक अर्थ नहि बुझा सकैत अछि तँ ओकरा सँ श्रेष्ठ ओ व्यक्ति अछि जे परमेश्वर सँ भेटल सम्बाद सुनबैत अछि, जाहि सँ मण्डलीक आत्मिक वृद्धि होअय।
5 Ora, desejo que todos faleis em línguas, porém muito mais desejo que profetizeis. Maior é quem profetiza do que quem fala em línguas, a não ser que este as interprete, para que a assembléia receba edificação.
6 यौ भाइ लोकनि, जँ हम अहाँ सभक ओतऽ आबि कऽ अनजान भाषा मे बाजी तँ जा धरि अहाँ सभ केँ हम अपना पर प्रगट कयल कोनो सत्य नहि सुनाबी, आ ने कोनो ज्ञानक बात, वा परमेश्वर सँ पाओल कोनो सम्बाद वा कोनो शिक्षाक बात कही, तँ ओहि सँ अहाँ सभ केँ की लाभ होयत?
6 Suponhamos, irmãos, que eu fosse ter convosco falando em línguas, de que vos aproveitaria, se minha palavra não vos desse revelação, nem ciência, nem profecia ou doutrina?
7 तहिना बाँसुरी वा वीणा सनक निर्जीवो बाजा सँ जँ स्पष्ट धुनि नहि निकलत तँ के कहि सकत जे ओहि सँ की बजाओल जा रहल अछि?
7 É o que se dá com os instrumentos inanimados de música, por exemplo a flauta ou a harpa: se não produzirem sons distintos, como se poderá reconhecer a música tocada?
8 फेर जँ सेनाक बिगुल सँ स्पष्ट आवाज नहि निकलत तँ कोन सैनिक अपना केँ लड़ाइक लेल तैयार करत?
8 Se a trombeta só der sons confusos, quem se preparará para a batalha?
9 एही तरहेँ अहूँ सभ, जँ बुझऽ वला भाषा मे नहि बाजब तँ जे बात बाजि रहल छी तकर अर्थ के बुझत? एना कऽ कऽ अहाँ सभ तँ हवा मे बात कयनिहार बनि जायब।
9 Assim também vós: se vossa língua só profere palavras ininteligíveis, como se compreenderá o que dizeis? Sereis como quem fala ao vento.
10 एहि संसार मे नहि जानि कतेक प्रकारक भाषा अछि, आ ओहि मे सँ एकोटा बिनु अर्थक नहि अछि।
10 Há no mundo grande quantidade de línguas e todas são compreensíveis.
11 जँ हम ककरो बाजल शब्दक अर्थ नहि बुझि पबैत छी तँ हम बजनिहारक लेल परदेशी छी आ बजनिहार हमरा लेल परदेशी अछि।
11 Porém, se desconhecer o sentido das palavras, serei um estrangeiro para quem me fala e ele será também um estrangeiro para mim.
12 एहि तरहेँ अहूँ सभ, जे पवित्र आत्माक वरदान सभ पयबाक लेल उत्सुक छी, एही बातक लेल विशेष रूप सँ प्रयत्नशील रहू जे अहाँ सभक वरदानक उपयोगिता सँ मण्डलीक आत्मिक वृद्धि होअय।
12 Assim, uma vez que aspirais aos dons espirituais, procurai tê-los em abundância para edificação da Igreja.
13 एहि कारणेँ अनजान भाषा बजनिहार अपन कहल बातक अर्थ सेहो बुझा सकय, तकरा लेल ओ प्रभु सँ विनती करओ।
13 Por isso, quem fala em línguas, peça na oração o dom de as interpretar.
14 किएक तँ जँ हम अनजान भाषा मे प्रार्थना करैत छी तँ हमर आत्मा तँ प्रार्थना करैत अछि मुदा हमर बुद्धि कोनो काजक नहि होइत अछि।
14 Se eu oro em virtude do dom das línguas, o meu espírito ora, mas o meu entendimento fica sem fruto.
15 तखन हम की करी? हम अपन आत्मा सँ प्रार्थना तँ करब मुदा अपन बुद्धि सँ सेहो प्रार्थना करब। हम अपन आत्मा सँ स्तुति गायब मुदा अपन बुद्धि सँ सेहो स्तुति गायब।
15 Então que fazer? Orarei com o espírito, mas orarei também com o entendimento; cantarei com o espírito, mas cantarei também com o entendimento.
16 जँ अहाँ मात्र आत्मे सँ, ⌞अर्थात् अनजान भाषा मे,⌟ परमेश्वरक स्तुति कऽ रहल छी तँ ओतऽ उपस्थित लोक सभ मे सँ, जे केओ बुझऽ वला नहि अछि, से अहाँक धन्यवादक प्रार्थनाक बाद कोना कहत जे “हँ, एहिना होअय” किएक तँ ओ नहि जनैत अछि जे अहाँ की कहि रहल छी।
16 De outra forma, se só renderes graças com o espírito, como dirá Amém a tuas ações de graças aquele que ocupar o lugar dos simples?
17 अहाँ तँ धन्यवाद बहुत बढ़ियाँ सँ दैत छी मुदा ओहि सँ दोसर व्यक्तिक आत्मिक वृद्धि नहि भऽ रहल अछि।
17 Sem dúvida, as tuas ações de graças podem ser belas, mas o outro não é edificado.
18 हम परमेश्वर केँ धन्यवाद दैत छियनि जे हम अहाँ सभ गोटे सँ बढ़ि कऽ अनजान भाषा मे बजैत छी।
18 Graças a Deus que possuo o dom de línguas superior a todos vós.
19 तैयो मण्डली मे अनजान भाषा मे दस हजार शब्द बजबाक अपेक्षा दोसर लोक सभ केँ शिक्षा देबाक लेल पाँचेटा बुझऽ वला शब्द बाजब नीक बुझैत छी।
19 Mas prefiro falar na assembléia cinco palavras que compreendo, para instruir também os outros, a falar dez mil palavras em línguas.
20 यौ भाइ लोकनि, बच्चा जकाँ सोच-विचार कयनाइ छोड़ि दिअ। हँ, अधलाह बात मे छोट बच्चा बनल रहू, मुदा सोचऽ-विचारऽ मे सेयान बनू।
20 Irmãos, não sejais crianças quanto ao modo de julgar: na malícia, sim, sede crianças; mas quanto ao julgamento, sede homens.
21 धर्म-नियम मे लिखल अछि, “प्रभुक कथन छनि जे,
21 Na lei está escrito: Será por gente de língua estrangeira e por lábios estrangeiros que falarei a este povo; e nem assim me ouvirão, diz o Senhor {Is 28,11s}.
22 तहिना अनजान भाषा सभ बजबाक वरदान विश्वासी सभक लेल नहि, बल्कि विश्वास केँ अस्वीकार कयनिहार सभक लेल चिन्ह स्वरूप अछि। मुदा परमेश्वर सँ पाओल सम्बाद सुनौनाइ अविश्वासी सभक लेल नहि, बल्कि विश्वासी सभक लेल चिन्ह स्वरूप अछि।
22 Assim, as línguas são sinal, não para os fiéis, mas para os infiéis; enquanto as profecias são um sinal, não para os infiéis, mas para os fiéis.
23 जँ समस्त मण्डली एक ठाम जमा भऽ जाय आ अहाँ सभ केओ अनजान भाषा सभ बाजऽ लागी, आ किछु लोक जे प्रभुक बात सँ अपरिचित अछि वा अविश्वासी अछि, भीतर आबि जाय तँ की ओ सभ अहाँ सभ केँ पागल नहि बुझत?
23 Se, pois, numa assembléia da igreja inteira todos falarem em línguas, e se entrarem homens simples ou infiéis, não dirão que estais loucos?
24 मुदा जँ सभ केओ परमेश्वर सँ पाओल सम्बाद सुनबैत रही आ तखन कोनो अविश्वासी वा प्रभुक बात सँ अपरिचित व्यक्ति भीतर प्रवेश करय तँ ओकरा परमेश्वरक सम्बाद सुनौनिहार सभक बात द्वारा अपना पापक अनुभव होयतैक आ ओहि सभ बात द्वारा ओ अपना केँ दोषी बुझत।
24 Se, porém, todos profetizarem, e entrar ali um infiel ou um homem simples, por todos é convencido, por todos é julgado;
25 एहि तरहेँ ओकरा हृदयक गुप्त बात सभ प्रकाश मे आबि जयतैक आ ओ दण्डवत कऽ परमेश्वरक आराधना करैत ई स्वीकार करत जे, “परमेश्वर वास्तव मे अहाँ सभक बीच उपस्थित छथि।”
25 os segredos do seu coração tornam-se manifestos. Então, prostrado com a face em terra, adorará a Deus e proclamará que Deus está realmente entre vós.
26 यौ भाइ लोकनि, फेर एकर निष्कर्ष की अछि? जहिया-कहियो अहाँ सभ जमा होइत छी तँ केओ भजन सुनबैत छी, केओ शिक्षा दैत छी, केओ अपना पर प्रगट कयल कोनो सत्य बतबैत छी, केओ अनजान भाषा मे बजैत छी आ केओ तकर अर्थ बुझबैत छी। मुदा ई सभ मण्डलीक आत्मिक वृद्धिक लेल कयल जाय।
26 Em suma, que dizer, irmãos? Quando vos reunis, quem dentre vós tem um cântico, um ensinamento, uma revelação, um discurso em línguas, uma interpretação a fazer - que isto se faça de modo a edificar.
27 जँ केओ अनजान भाषा मे बाजय तँ दू वा बेसी सँ बेसी तीन गोटे बेरा-बेरी बाजओ, और केओ ओकर अर्थ बुझाबओ।
27 Se há quem fala em línguas, não falem senão dois ou três, quando muito, e cada um por sua vez, e haja alguém que interprete.
28 जँ कोनो अर्थ बुझौनिहार नहि होअय तँ अनजान भाषा बाजऽ वला मण्डली मे चुप रहओ। ओ अपने सँ आ परमेश्वर सँ बाजओ।
28 Se não houver intérprete, fiquem calados na reunião, e falem consigo mesmos e com Deus.
29 परमेश्वरक प्रवक्ता सभ मे सँ दू वा तीन गोटे बाजथि आ बाँकी लोक हुनकर सभक बात सभक जाँच करथि।
29 Quanto aos profetas, falem dois ou três, e os outros julguem.
30 मुदा जँ ओतऽ बैसल लोक सभ मे सँ किनको पर परमेश्वर सँ कोनो सत्य प्रगट भऽ जाय तँ पहिने सँ बाजऽ वला व्यक्ति चुप भऽ जाथि।
30 Se for feita uma revelação a algum dos assistentes, cale-se o primeiro.
31 अहाँ सभ बेरा-बेरी सभ केओ परमेश्वर सँ पाओल सम्बाद सुना सकैत छी जाहि सँ सभ केँ शिक्षा आ प्रोत्साहन भेटय।
31 Todos, um após outro, podeis profetizar, para todos aprenderem e serem todos exortados.
32 परमेश्वरक प्रवक्ता सभ केँ अपन आत्मा पर नियन्त्रण छनि,
32 O espírito dos profetas deve estar-lhes submisso,
33 किएक तँ परमेश्वर द्वारा अव्यवस्था नहि उत्पन्न होइत अछि, बल्कि शान्ति।
33 porquanto Deus não é Deus de confusão, mas de paz.
34 तहिना अहूँ सभक सभा सभ मे स्त्रीगण सभ केँ चुप रहबाक चाहियनि। हुनका सभ केँ बजबाक अनुमति नहि अछि, बल्कि धर्म-नियमक कथनानुसार ओ सभ अधीनता मे रहथु।
34 Como em todas as igrejas dos santos, as mulheres estejam caladas nas assembléias: não lhes é permitido falar, mas devem estar submissas, como também ordena a lei.
35 जँ ओ सभ कोनो बातक बारे मे बुझऽ चाहैत होथि तँ घर पर अपन-अपन पति सँ पुछथु, किएक तँ मण्डलीक सभा मे स्त्रीगण सभ केँ बजनाइ लाजक बात अछि।
35 Se querem aprender alguma coisa, perguntem-na em casa aos seus maridos, porque é inconveniente para uma mulher falar na assembléia.
36 आब कहू, की परमेश्वरक वचन अहीं सभ सँ शुरू भेल? वा की ओ अहीं सभ तक पहुँचल अछि?
36 Porventura foi dentre vós que saiu a palavra de Deus? Ou veio ela tão-somente para vós?
37 जँ केओ अपना केँ परमेश्वरक प्रवक्ता वा आत्मिक वरदान सँ सम्पन्न बुझैत होअय तँ ओ ई स्वीकार कऽ लओ जे हम जे किछु अहाँ सभ केँ लिखि रहल छी से प्रभुक आदेश अछि।
37 Se alguém se julga profeta ou agraciado com dons espirituais, reconheça que as coisas que vos escrevo são um mandamento do Senhor.
38 मुदा जँ केओ एहि पर ध्यान नहि देत तँ ओकरो पर ध्यान नहि देल जयतैक।
38 Mas, se alguém quiser ignorá-lo, que o ignore!
39 एहि लेल, यौ भाइ लोकनि, परमेश्वर सँ सम्बाद पयबाक और सुनयबाक लेल उत्सुक रहू मुदा अनजान भाषा सभ मे बाजऽ वला सभ केँ रोकू नहि।
39 Assim, pois, irmãos, aspirai ao dom de profetizar; porém, não impeçais falar em línguas.
40 सभ किछु उचित आ व्यवस्थित ढंग सँ कयल जाय।
40 Mas faça-se tudo com dignidade e ordem.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Coríntios 14, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.