1 Coríntios 10

jivən səndesh (MAI) vs ACF

Sair da comparação
ACF Almeida Corrigida Fiel
1 तेँ, यौ भाइ लोकनि, हम चाहैत छी जे अहाँ सभ अपना सभक प्राचीन समयक पुरखा लोकनिक बारे मे बुझी जे, जे सभ मूसाक संग मिस्र देश सँ निकललाह ओ सभ गोटे ओहि मेघक छाया मे चललाह जे रस्‍ता देखबैत संग-संग चलैत छलनि, आ ओ सभ केओ लाल सागरक बीच बाटे पार भेलाह।
1 Ora, irmãos, não quero que ignoreis que nossos pais estiveram todos debaixo da nuvem, e todos passaram pelo mar.
2 एहि तरहेँ बुझल जा सकैत अछि जे ओ सभ केओ ओहि मेघक छाया मे चलि कऽ आ मूसाक पाछाँ समुद्र मे जा कऽ एहि रूप मे “बपतिस्‍मा” स्‍वीकार करैत मूसा मे सहभागी बनलाह।
2 E todos foram batizados em Moisés, na nuvem e no mar,
3 सभ केओ एके प्रकारक आत्‍मिक भोजन कयलनि,
3 E todos comeram de uma mesma comida espiritual,
4 आ एके प्रकारक आत्‍मिक जल पिलनि, किएक तँ ओ सभ ओहि आत्‍मिक चट्टान सँ बहऽ वला जल पिबैत छलाह जे हुनका सभक संग-संग चलैत छलनि, और ओ चट्टान छलाह मसीह।
4 E beberam todos de uma mesma bebida espiritual, porque bebiam da pedra espiritual que os seguia; e a pedra era Cristo.
5 ई सभ बात होइतो हुनका सभ मे सँ अधिकांश लोक सँ परमेश्‍वर अप्रसन्‍न भेलाह और ओ सभ निर्जन क्षेत्र मे नष्‍ट भऽ गेल।
5 Mas Deus não se agradou da maior parte deles, por isso foram prostrados no deserto.
6 ई घटना सभ अपना सभक लेल उदाहरणक रूप मे चेतावनी भेल जाहि सँ अपना सभ हुनका सभ जकाँ अधलाह बात सभक लालसा नहि करी।
6 E estas coisas foram-nos feitas em figura, para que não cobicemos as coisas más, como eles cobiçaram.
7 हुनका सभ मे सँ किछु लोक जकाँ अहाँ सभ मूर्तिक पूजा कयनिहार नहि बनू, जिनका सभक विषय मे धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे, “लोक सभ खयबाक-पिबाक लेल बैसल आ मौज-मजा करबाक लेल उठल।”
7 Não vos façais, pois, idólatras, como alguns deles, conforme está escrito: O povo assentou-se a comer e a beber, e levantou-se para folgar.
8 अपना सभ अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध नहि राखी, जेना कि हुनका सभ मे सँ किछु लोक कयलनि आ एके दिन मे तेइस हजार मरि गेलाह।
8 E não nos forniquemos, como alguns deles fizeram; e caíram num dia vinte e três mil.
9 अपना सभ प्रभुक परीक्षा नहि करियनि, जेना कि हुनका सभ मे सँ किछु लोक कयलनि आ साँप सभक कटनाइ सँ मारल गेलाह।
9 E não tentemos a Cristo, como alguns deles também tentaram, e pereceram pelas serpentes.
10 अहाँ सभ कुड़बुड़ाउ नहि, जेना कि हुनका सभ मे सँ किछु लोक कयलनि आ विनाशक दूत द्वारा मारल गेलाह।
10 E não murmureis, como também alguns deles murmuraram, e pereceram pelo destruidor.
11 ई सभ घटना उदाहरणक लेल हुनका सभ पर बितलनि, आ अपना सभ केँ चेतावनी देबाक लेल लिखल गेल अछि जे सभ संसारक अन्‍त होमऽ-होमऽ वला समय मे जीबि रहल छी।
11 Ora, tudo isto lhes sobreveio como figuras, e estão escritas para aviso nosso, para quem já são chegados os fins dos séculos.
12 तेँ जे केओ अपना केँ मजगूत बुझैत अछि से सावधान रहओ जे कहीं खसि ने पड़य।
12 Aquele, pois, que cuida estar em pé, olhe não caia.
13 अहाँ सभ कहियो कोनो एहन परीक्षा मे नहि पड़लहुँ जे मनुष्‍य सभ केँ नहि होइत रहैत अछि। परमेश्‍वर विश्‍वासयोग्‍य छथि। ओ अहाँ सभ केँ एहन परीक्षा मे नहि पड़ऽ देताह जे अहाँ सभक सहनशक्‍ति सँ बाहर होअय। ओ परीक्षाक समय मे तकरा सहबाक साहस दैत अहाँ सभ केँ पार कऽ निकलबाक उपाय सेहो उपलब्‍ध करौताह।
13 Não veio sobre vós tentação, senão humana; mas fiel é Deus, que não vos deixará tentar acima do que podeis, antes com a tentação dará também o escape, para que a possais suportar.
14 तेँ, यौ हमर प्रिय भाइ लोकनि, अहाँ सभ मूर्तिक पूजा कयनाइ सँ दूर रहू।
14 Portanto, meus amados, fugi da idolatria.
15 हम अहाँ सभ केँ समझदार बुझि ई बात कहि रहल छी। हम जे कहैत छी तकर अहाँ सभ स्‍वयं जाँच करू जे ओ सही अछि वा नहि।
15 Falo como a entendidos; julgai vós mesmos o que digo.
16 प्रभु-भोजक ओ आशिषक बाटी, जकरा लेल अपना सभ प्रभु केँ धन्‍यवाद दैत छी, की ताहि मे सँ पिबैत अपना सभ मसीहक बहाओल खून मे सहभागी नहि छी? आ ओ रोटी, जकरा अपना सभ तोड़ैत छी, की ताहि मे सँ खा कऽ अपना सभ मसीहक देह मे सहभागी नहि छी?
16 Porventura o cálice de bênção, que abençoamos, não é a comunhão do sangue de Cristo? O pão que partimos não é porventura a comunhão do corpo de Cristo?
17 रोटी एकेटा अछि, एहि कारणेँ अपना सभ अनेक होइतो एक देह छी, किएक तँ अपना सभ ओहि एकेटा रोटी मे सँ खाइत छी।
17 Porque nós, sendo muitos, somos um só pão e um só corpo, porque todos participamos do mesmo pão.
18 इस्राएली समाजक बारे मे सोचू—की बलि-भोज खयनिहार लोक ओहि परमेश्‍वरक सेवा मे सहभागी नहि अछि जिनकर वेदी पर बलि चढ़ाओल गेल अछि?
18 Vede a Israel segundo a carne; os que comem os sacrifícios não são porventura participantes do altar?
19 तखन हम कहि की रहल छी? की ई जे मुरुत पर चढ़ाओल वस्‍तुक कोनो विशेषता अछि? वा की ई जे मुरुतक कोनो महत्‍व अछि?
19 Mas que digo? Que o ídolo é alguma coisa? Ou que o sacrificado ao ídolo é alguma coisa?
20 नहि! हमर कहबाक अर्थ ई अछि जे, जे बलि मुरुत पर चढ़ाओल जाइत अछि से परमेश्‍वर केँ नहि, बल्‍कि दुष्‍टात्‍मा सभ केँ चढ़ाओल जाइत अछि, आ हम नहि चाहैत छी जे अहाँ सभ दुष्‍टात्‍मा सभक सहभागी बनू।
20 Antes digo que as coisas que os gentios sacrificam, as sacrificam aos demônios, e não a Deus. E não quero que sejais participantes com os demônios.
21 अहाँ सभ प्रभुक बाटी आ दुष्‍टात्‍मा सभक बाटी, दूनू मे सँ नहि पिबि सकैत छी। अहाँ सभ प्रभुक भोज आ दुष्‍टात्‍मा सभक भोज, दूनू मे सहभागी नहि बनि सकैत छी।
21 Não podeis beber o cálice do Senhor e o cálice dos demônios; não podeis ser participantes da mesa do Senhor e da mesa dos demônios.
22 की अपना सभ प्रभुक मोन मे डाह उत्‍पन्‍न कराबऽ चाहैत छी? की अपना सभ हुनका सँ शक्‍तिशाली छी?
22 Ou irritaremos o Senhor? Somos nós mais fortes do que ele?
23 “सभ किछु करबाक स्‍वतन्‍त्रता अछि”—मुदा सभ किछु हितकर नहि अछि। “सभ किछु करबाक स्‍वतन्‍त्रता अछि”—मुदा सभ किछु लाभदायक नहि अछि।
23 Todas as coisas me são lícitas, mas nem todas as coisas convêm; todas as coisas me são lícitas, mas nem todas as coisas edificam.
24 सभ केँ अपन नहि, बल्‍कि दोसर लोकक हितक ध्‍यान रखबाक चाही।
24 Ninguém busque o proveito próprio; antes cada um o que é de outrem.
25 बजार मे जे माँसु बिकाइत अछि तकरा अहाँ निश्‍चिन्‍ततापूर्बक खा सकैत छी। ओ माँसु चढ़ाओल अछि वा नहि तकर पूछ-ताछ नहि करऽ लागू,
25 Comei de tudo quanto se vende no açougue, sem perguntar nada, por causa da consciência.
26 किएक तँ धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे “पृथ्‍वी आ ओहि परक जे किछु अछि से सभ प्रभुक छनि।”
26 Porque a terra é do Senhor e toda a sua plenitude.
27 जँ अविश्‍वासी सभ मे सँ केओ अहाँ केँ निमन्‍त्रण दय आ अहाँ जाय चाही तँ जाउ आ ओतऽ जे किछु अहाँ केँ परसल जाइत अछि तकरा निश्‍चिन्‍ततापूर्बक बिनु कोनो प्रश्‍न कयने खाउ।
27 E, se algum dos infiéis vos convidar, e quiserdes ir, comei de tudo o que se puser diante de vós, sem nada perguntar, por causa da consciência.
28 मुदा जँ केओ कहय जे, “ओ प्रसाद अछि,” तँ कहनिहारक हितक लेल आ जाहि सँ विवेक केँ हानि नहि पहुँचय ओ वस्‍तु नहि खाउ।
28 Mas, se alguém vos disser: Isto foi sacrificado aos ídolos, não comais, por causa daquele que vos advertiu e por causa da consciência; porque a terra é do Senhor, e toda a sua plenitude.
29 हमर कहबाक अर्थ अहाँक विवेक सँ नहि, बल्‍कि ओहि दोसर आदमीक विवेक सँ अछि। किएक तँ हमर स्‍वतन्‍त्रता दोसराक विवेकक अनुसार किएक दोषी ठहरय?
29 Digo, porém, a consciência, não a tua, mas a do outro. Pois por que há de a minha liberdade ser julgada pela consciência de outrem?
30 जँ हम धन्‍यवाद दऽ कऽ भोजन करैत छी तँ जाहि वस्‍तुक लेल हम परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देने छी ताहि सँ हमर निन्‍दा किएक होअय?
30 E, se eu com graça participo, por que sou blasfemado naquilo por que dou graças?
31 अहाँ सभ खाइ वा पिबी वा जे किछु करी, सभ किछु एहि लेल करू जाहि सँ परमेश्‍वरक महिमा प्रगट होनि।
31 Portanto, quer comais quer bebais, ou façais outra qualquer coisa, fazei tudo para glória de Deus.
32 ककरो ठेस लगबाक कारण नहि बनू, ने यहूदी सभक लेल, ने आन जातिक लेल आ ने परमेश्‍वरक मण्‍डलीक लेल।
32 Portai-vos de modo que não deis escândalo nem aos judeus, nem aos gregos, nem à igreja de Deus.
33 तहिना हमहूँ अपना हितक लेल नहि, बल्‍कि दोसर लोक सभक हित केँ ध्‍यान मे राखि कऽ सभ बात मे सभ लोक केँ प्रसन्‍न करबाक प्रयत्‍न करैत छी जाहि सँ ओ सभ उद्धार पाबि सकय।
33 Como também eu em tudo agrado a todos, não buscando o meu próprio proveito, mas o de muitos, para que assim se possam salvar.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Coríntios 10, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.